हमर गामक माटि पौथी के समीक्षा गोष्टी के भेल आयोजन।
“भारत गामक देश अछि ” गाँधीजी कहियो कहने रहथि से भनहि पुरान भऽ गेल अछि , मुदा मिथिला तऽ मात्र गामेसँ बनल अछि से आइयो सत्य अछि । जी ,मिथिलामे कोनो राजधानी,महानगर वा औद्योगिक नगर नहि छै आ ने छै कोनो समुद्रतट वा व्यापारिक केन्द्र । जँ तथाकथित किछु पैघ बजार हाटक सुविधाबला शहर छै तऽ दरभङ्गा, सहरसा आ पुर्णिया वा सीतामढ़ी । एहि सभ शहरक हालो ककरोसँ नुकायल नहि अछि ।
तेँ मिथिलाक परिचिति संस्कार आ संस्कृतिसँ ओत-प्रोत एकसँ एक गाम अछि। हरेक दस कोसपर एकटा प्रसिद्ध गाम भेटत जकर अपन फराक परिचिति छै ।

एहने एकटा गाम अछि पनिचोभ जकर वर्तमानमे लोकक बीच पञ्चोभ कहबाक हिस्सक भऽ गेल छै । दरभङ्गाक दक्षिणी भागक पश्चिममे ऐतिहासिक गाम पनिचोभकेँ के नहि जनैत अछि !
ओना एहि गामक परिचय आ विवरण देबालेल हजार पृष्ट कम पड़त मुदा संक्षिप्त परिचय दैत एहि गामक बेटी मैथिलिक सेवानिवृत प्रोफेसर आ प्रसिद्ध साहित्यकार उषा चौधरी द्वारा अपन सद्यःप्रकाशित पोथी *हमर गामक माटि* द्वारा पनिचोभक परिचय देबाक नीक प्रयास कयलनि अछि।
बाबूजीक लाइब्रेरी, राजकुमारगञ्ज, दरभङ्गामे आइ एहि पोथीक लेल लोकार्पण सह परिचर्चा समारोह आयोजित कयल गेल ।
कार्यक्रमक मुख्य वक्ता रहथि साहित्यकार रमेश जे पोथीक विभिन्न आयामक जनतब सभाकेँ देलनि। अन्य वक्तामे वीणा ठाकुर लेखिकाकेँ बधाइ दैत पोथीकेँ आओर विस्तृत करबाक आग्रह कयलनि तऽ प्रो रमेश कुमार झा पनिचोभ गामक महत्वपूर्ण सूचनाक सङ्ग्रहकेँ बहुत उपयोगी कहलनि । हीरेन्द्र कुमार झा पोथीकेँ भविष्यक पीढ़ीक लेल आवश्यक दस्तावेजक रूपमे स्वागत कयलनि । प्रो कृष्ण कुमार झा लेखिकाक श्रम आ साहसक प्रशंसा करैत पनिचोभक युवासँ पोथीक विस्तृत संस्करण तैयार करबाक आग्रह रखलनि।
सभाक अध्यक्षता करैत डा. भीमनाथ झा जे पोथीक भूमिका सेहो लिखने छथि, पोथीक विषय वस्तुक उपादेयताक सङ पनिचोभक प्रति बाबा नागार्जुनक सिनेह सम्मानक वर्णन सुनौलनि।
गोष्ठीक सञ्चालक अमलेन्दु शेखर पाठक द्वारा अपन सञ्चालन क्रममे पोथीक विभिन्न पक्ष आ वर्तमानमे एहि प्रकारेँ गाम-गाथाक विभिन्न जनतब दैत रहला।
कार्यक्रमक अन्तमे आयोजक राजेश कुमार सिंह ठाकुर द्वारा धन्यवाद ज्ञापन आ वर्तमानमे मिथिलाक गाम आ ओतऽ मैथिलीक प्रति क्षीण होइत लोकक रूचिक चर्चा कयलनि। उहें पोचभ के मुखिया राजीव कुमार चौधरी जी के दिस स आ समस्त पंचायत के दिस स लेखिका क धन्यवाद आ शुभकामना देल गेल आ मौका पर पंचोभ क गामक विस्तार पूर्वक व्याख्या केल गेल। उहें पोथी के दोसर संस्करण में गामक और व्याख्या भेटट से अश्वाशन देलाह। मौका पर छात्र नेता शरद कुमार सिंह, विख्यात पत्रकार पूर्व प्रो० दयानंद झा, रौशन कुमार आदि उपस्थित छेलाह।
Darbhanga News24 – दरभंगा न्यूज24 Online News Portal