दरभंगा जिला क बहेड़ी प्रखंड क जोरजा गाम में होली मिलन समारोह आयोजन केल गेल ।प्रभाकान्त जी कहलैथ होली भारतवासी क समरसता आ महत्वपूर्ण पर्व अछी।जे बसंत ऋतु में मनाओल जाईत अछी।ई रंगक पावन आ बुराई पर सच्चाई क जीत आ बसंत ऋतु क शुभारंभ क प्रतिक अछी । पंच प्रण सामिजिक समरसता

पर्यावरण संरक्षण,कुटुम्ब प्रबोधन ,स्व आधारित जीवन नागरिक कर्तव्य बोध आ युवासब अपन भारतीय सभ्याता आ सास्कृतिक आ परंपरा , मर्यादा, धरोहर का संरक्षण के प्रेरित केलछिन ,नरी एकटा रत्न अछि । भारतीय संस्कृति , आ सनातन धर्म पर गर्व करू।बढैत सामाजिक कुप्रथा क समाधान पर चर्चा केलछिन । खेलकूद पढाई -लिखाई ,
सामाजिक जागृति मन लगा क करू ।अपन मर्यादा ,
सम्मान क सदैव चाहे कोनो परिस्थिति रक्षा जरूरी अछि । भूकंप स बचाऊ , चंद्र ग्रहण सूर्य ग्रहण कोना लागै अछि एहि सब विषय पर चर्चा भेल ।लिंग भेदभाव छुआ -छुत ,जाति पाती मिटाऊ ।एक दोसर स प्रेम करू।पुराणक महिमा , भक्त प्रहलाद आ नरसिंह अवतारक महिमा कथा कहलैथ। छात्रसबक लक्ष्य के प्रति प्रेरित केलखिन । पहिले अपन मिथिला क्षेत्र में दिन क विवाह होई छल ।किछ काल खंड में विधर्मी लोकैन सनातनी परिवारसब अत्याचार करै लागल । ऐहि कारण राईत में विवाह होई लागल । आजु पीढ़ी क एहि बातक जानकरी नञै अछि। एहि अपन सभ्यता, संस्कृति,पावन क भूलैत अछी। पश्च्यात संस्कृति क मानैत अछि।पश्च्यात संस्कृति क लोकैन भारतीय संस्कृति क मानैत अछी । हमरा सबक क भारतीय सभ्यता गर्व करू । काजल ,क्रान्ति , सरस्वती ,काजल नीतिश उपस्थित छल।
Darbhanga News24 – दरभंगा न्यूज24 Online News Portal